मिथिलाहोस्ट हमर फर्म अछि, जतय आँहा सब लोकैन वेबसाइट बना सकैत छी, ओहो कम स कम दाममें आँहा एतय वेबसाइट बना सकैत छी. हम आँहा के सब तरहक सुविधा देब, जाहिं स आँहा आकर्षक वेबसाइट बना सकैत छी, वा हम आँहा लेल बना देब.

 

मिथिलाफेस'के रूप में हम एगो वेबसाइट शुरू केने छ्लौह जे पहिल मैथिली सोशल नेटवर्किंग साईट छल. वर्तमानमें इ सुविधा उपलब्ध नञिं अछि, मुदा जल्दिये पहिल मैथिली सोशल साईट शुरू करब. मैथिली  में सोशल साईटके पैघ आवश्यकता अछि

 
 

मैथिली फॉण्टस नामक एगो वेबसाइट बनने छी, जतय स आँहा मंगनी में मैथिली (तिरहुता फॉण्ट डाउनलोड क सकैत छी. एतय तिन गो मैथिली फॉण्टस अछि, मिथिला, तिरहुता आ सुर्यलक्ष्मी, आँहा तिनु फॉण्ट डाउनलोड क सकैत छी.

 

दुर्गा सप्तशतीक मैथिलीमें कैगो ने किताब अछि, मुदा मैथिली में इन्टरनेट पर उपलब्ध नञिं  अछि, हमर इच्छा छल जे मैथिली में अनुवाद क क इन्टरनेट पर राखु, एखन धरि पूर्ण अनुवाद  नञिं भेल अछि, मुदा जेना जेना अनुवाद भ रहल अछि , राखि रहल छी