मिथिलाक विद्यार्थीक कॅरियर बर्बाद भ' रहल अछि।

 बिहारी सत्ता द्वारा सञ्चालित मिथिलामे जतेक विश्वविद्यालय अछिबसे सभ मिथिलाक विद्यार्थी सभक कॅरियर बर्बाद कय रहल छै। आजुक युगमे समय आओर उमरि बहुत महत्व राखैत अछि मुदा अकर्मण्य VC तथा मगहिया वर्चस्वके कारण 3 वर्षक डिग्री देबयमे 5-6 वर्ष लगबैत अछि विश्वविद्यालय। समय सँ एग्जाम तथा समय सँ परिणाम भेटय एतेक आस विद्यार्थी लोकिन करैत छथि ओहो मगही सत्ताके नजरिमे पाप बनल छै। 

विश्वविद्यालय प्रशासन स्वयं एकटा काज समय पर नहि कय पबैत अछि मुदा पटना सँ आशीर्वाद फलस्वरूप बिना कोनो परेशानीक कब्जेने अछि मिथिलाक सभ विश्वविद्यालय। जखनि कोनो छात्र संगठन अहि काजक प्रणालीक विरोध कय समय सँ एग्जाम आओर रिजल्ट देबय लेल आन्दोलन करैत अछि तँ मोकदमामे फसेबाक धमकी देल जायत अछि।

बिहारी सत्ता सदैव सँ मिथिला सँ उठय वला आवाजके मारय लेल फुइसके मोकदमाके ब्रह्मास्त्र जकाँ प्रयोग करैत आबि रहल अछि।

No comments

Post a Comment